संस्थाक सम्बन्ध मे

शिक्षा आ स्वास्थ्य के उद्देश्य सँ स्थापित "विद्यापति मैथिल युवा मंच" एकटा एहेन स्वयंसेवी संस्था, जकर स्थापना ९ मार्च २००३ (पंजी. २३  अक्टूबर  २००६) क' दिल्ली मे भेल छल तहिया सँ ल'क' आइ धरि अपन उद्देश्य मे दिनानुदिन सफलता पबैत अग्रसर भ' रहल अछि। 
प्रतिवर्ष निश्चितरूपे माँ सरस्वती पूजनोत्सव केर सफलतापूर्वक आयोजन आ एहि उपलक्ष्य मे वर्ग पाँचम सँ ल'क' वर्ग दसम धरिक बच्चा के बीच शिक्षास्तरीय प्रतियोगिता आ मनोरंजन के आयोजनक संग स्मारिकाक प्रकाशन सेहो करैत अछि। 
शिक्षा आ स्वास्थ्य सँ सम्बंधित अनेकानेक सक्रिय गतिविधि मे दृढसंकल्पताक कतेको प्रमाण हमरा लोकनिक समक्ष अछि, जेनाकि- वी.एम.वाई.एम. एकेडमी, वी.एम.वाई.एम. डिस्पेंसरी (फिजियोथेरेपी, फिजिशियन आ सब तरहक जांच के सुविधा), निःशुल्क स्वास्थ्य परामर्श कैम्प आदि। 
संस्थाक सदस्यता लेल कोनो कठोर शर्त नहि अछि। विश्वक कोनो कोन मे रहि क' अपने एक सदस्यक रूपमे कार्य क' सकै छी । 

संस्थाक विभिन्न क्रियाकलापक जानकारी हेतु अन्यान्य सोशल नेटवर्क पर फॉलो करी आ जुड़बा लेल क्लिक करी : 

फेसबुक : https://www.facebook.com/VMYM2003 
ट्विटर : https://twitter.com/VMYM2/