Saturday, March 16, 2013

एहि वर्षक (2013) सरस्वती पूजा सम्पन्न भेल

विगत दस बरखक भाँति एहि बेर पुनः डॉ राजेन्द्र प्रसाद पार्क, पश्चिमी विनोद
नगर, दिल्ली में हमरा लोकनिक संस्था "विद्यापति मैथिल युवा मंच" बसंत पंचमीक पावन अवसरपर
15 फरवरी 2013 कए  सरस्वती पूजनोत्सवक सफलतापूर्वक आयोजन केलक अछि । एहि
सुअवसर पर माँ सरस्वतीक सविधि पूजा-अर्चनाक संगहि नेना सभके प्रोत्साहन हेतु
कक्षा छ: स' ल' क' नवम धरिक छात्र/छात्राक बीच अनेकानेक गतिविधि जेना
कि-प्रश्नोत्तरी,चित्रकला,गायन आ नृत्य प्रतियोगिताक (30 गोट छात्र/छात्रा पुरस्कृत, जाहि में स' प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिताक छः टा सीनियर ग्रुप के बच्चा के 
मैथिली भोजपुरी साहित्य अकादमी दिस स' सेहो पुरस्कार के घोषणा कैल गेल) पश्चात सांस्कृतिक
कार्यक्रमक आयोजन सेहो कैल गेल  । एहि विशेष अवसरपर संस्थाक विगत बरखक क्रियाकलाप आ लेखक लोकनिक रचनाक एकटा अनुपम संग्रह  "स्मारिका" सेहो  प्रकाशित
कैल गेल। पूजा स्थल पर स्थानीय मैथिल आ अमैथिल दुनू समाजक योगदान निश्चितरूपे
एहि सफल आयोजन के रूप में देखबा मैं ऐल । सामाजिक,राजनितिक,विभिन्न संस्था आ शिक्षाविद
लोकनिक उपस्थिति विशेष आकर्षक रहल जाहि में आम आदमी पार्टी समूह केर संग मनीष
सिसौदिया ,बीजेपी केर पूनम झा आज़ाद, चार्टर्ड एकाउंटेंट इंस्टिट्यूट के
चेयरमैन दुर्गादास अग्रवाल, ब्रिटिश लिंगुआ के प्रबंध निदेशक डॉ बीरबल झा आदि
के संगे मीडियाकर्मी (सौभाग्य मिथिला, दैनिक जागरण,ईटीवी समूह,मिथि मीडिया आ
अन्य) लोकनिक सहयोग  वृहत रूप में  देखबा  में ऐल। संस्था द्वारा संचालित
चेरिटेबल अस्पताल "वी एम वाई एम डिस्पेन्सरी" द्वारा निःशुल्क चिकित्सा
परामर्श कैम्प आ संगहि रंग-बिरंगक पत्रिका/कैसेट/ मिथिला पेन्टिंग/मुफ्त
नेत्र चिकित्सा शिविर आदिक स्टाल आ श्रद्धालु लोकनिक उपस्थितिसँ पूजा पंडाल
शोभायमान भेल । संध्या आरती के पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन में
कलाकार-रमेश मल्लिक (संगीत ग्रुप), संजय झा,संजय कुमार झा,पूजा झा,रश्मी
रानी,मनीष झा "बौआभाइ" आ विकास झा "टुन्ना" आदि दर्शक के भरपूर आनंद दैत थोपड़ी बटोरय में बेस सफल रहलाह। 
प्रातःकालीन पूजा-आरती,हवन आ तकरा बाद प्रतिमाक जल प्रवाह हेतु सभ कार्यकर्ता यमुना
जी में मूर्ति विसर्जित केलन्हि। संस्थाक सदस्य आ स्थानीय समाज केर महीनो केर मेहनैत आ बुद्धि दात्री माँ सरस्वतीक असीम कृपा स' ई महोत्सव सविधि संपन्न आ सफल भेल।

संस्था दिस स' एहि सफल आयोजन के सहभागी स्थानीय समाज, प्रतियोगी छात्र/छात्रा, अभिभावक, मीडिया, कलाकार लोकनि,विभिन्न सहयोगी संस्था आदि के हार्दिक धन्यवाद आ आभार।