Sunday, March 5, 2023

विद्यापति मैथिल युवा मंच द्वारा 'होली मिलन समारोह-२०२३'क आयोजन

ज्ञात हो कि, विगत वर्षक भांति अहू बेर विद्यापति मैथिल युवा मंच द्वारा होली मिलन समारोहक आयोजन कयल जा रहल अछि, जाहि मे अपने लोकनि सपरिवार सादर आमंत्रित छी।

तिथि: 5 मार्च 2023 (रविदिन)
समय- बेरूपहर 3 बजे सँ
स्थान: MCD पार्क, साकेत ब्लॉक मंडावली,दिल्ली-92

निवेदक: विद्यापति मैथिल युवा मंच परिवार




Tuesday, December 22, 2015

स्मारिका-२०१६ मे प्रकाशनार्थ रचना एवं विज्ञापन हेतु आमंत्रण

मान्यवर/माननीया,
अत्यन्त हरखक संग सूचित क’ रहल छी जे हमरा लोकनिक संस्था “विद्यापति मैथिल युवा मंच” आगामी सरस्वती पूजा (१३ फरवरी २०१६) केर तैयारीक क्रममे प्रत्येक बरख प्रकाशित होमय बला “स्मारिका”मे प्रकाशनार्थ रचना हेतु अपनेंकें रचना पठेबा लेल सादर आमंत्रित करैत अछि । रचना समसामयिक,लौकिक,शिक्षाप्रद आ सामाजिक विषय-वस्तु पर आधारित हो त’ उत्तम आ ताहूमे ज’ टंकित होए त’ वाह ! वाह ! अन्यथा स्कैन कैल वा साफ अक्षरमे हस्तलिखित पठाएब ताहू लेल कोनो हर्ज नञि । हमरा लोकनि रचना प्राप्त करबाक तिथि निर्धारित केलौं अछि आजुक तिथि स' ल' क' १० जनवरी २०१५, धरि जेकि Facebook Message Inbox, vmymindia@gmail.com वा निम्नलिखित पत्राचारक पता पर सेहो सहर्ष स्वीकार्य अछि । समय एतेक पहिने रखबाक मुख्य कारण जे कोनो प्रकारक रचनामे टंकण अशुद्धि कम-स’-कम होइ तैं अपनें लोकनि स’ साग्रह निवेदन जे अपन सहभागिता आजुक तिथि स’ ल’ क’ अंतिम निर्धारित तिथि धरि अवस्से देल जाउ । हमरा लोकनि नितरोजे बाट ताकब आ आशा करै छी सभ दिन एकटा क’ नव-नव रचना प्राप्त हएत ।

निवेदक :
विद्यापति मैथिल युवा मंच
पत्राचार हेतु :
Vidyapati Maithil Yuva Manch
C/O-SDM & Associates
C-53, 2nd Floor,
Dena Bank Building, Pocket-5,
Mayur Vihar, Phase-1, Delhi-110091
Mobile No. 097173 47995

Saturday, December 19, 2015

वी.एम.वाइ.एम. द्वारा कम्बल वितरण

तमाम प्रिंट ओ इलेक्ट्रॉनिक मीडिया द्वारा दिल्लीक बढ़ैत ठंढ में दूर-दराज स' इलाज करबै वास्ते आएल मरीज आ हुनक परिजन के एहि सिरसिराइत जारमे बस स्टैंड शेड वा अन्यत्र फुटपाथ पर राति बिताएब सनक समस्याकें संज्ञान लैत हमरा लोकनिक संस्था विद्यापति मैथिल युवा मंच,दिल्ली एम्स (AIIMS) अस्पतालक बाहरी परिसरमे दिनांक- १९ दिसम्बर २०१५ मने शनि दिन रातिक दस बजे जरूरतमंद लोककेँ कम्बल वितरण कएल । वितरण स्थल पर पहुँचल संस्थाक पदाधिकारी लोकनि परिजन लोकनि स' हुनक मरीजक समस्या सम्बन्धी बात सेहो केलनि।

फोटो संकलन देखबा लेल क्लिक करू :

Friday, January 30, 2015

सरस्वती पूजा महोत्सव (२४,२५ आ २६ जनवरी)-२०१५

प्रतिमा-२०१५ 
संस्था संचालित वी.एम. वाइ.एम. एकेडमी आयोजित छात्र प्रतियोगिता विवरण :
कुल सम्मिलित छात्र/छात्रा : ७०० के करीब
दिनांक -१८ जनवरी २०१५ (रवि)
प्रश्नोत्तरी प्रतियोगी (२०० के करीब) पूर्व चयन लिखित जाँच प्रक्रिया द्वारा, मौखिक आ अंतिम चयन वास्ते चयनित ५०
दिनांक -२४ जनवरी २०१५ (शनि) 
प्रश्नोत्तरी प्रतियोगी अंतिम चयन मौखिक : कुल १२ टा (६ टा जूनियर, ६ टा सीनियर)
दिनांक : २५ जनवरी २०१५ (रविदिन)
पूजा,आरती, विभिन्न प्रतियोगिता आ सांस्कृतिक कार्यक्रम 
स्थान : स्वाती अपार्टमेन्ट पार्क,पश्चिमी विनोद नगर,दिल्ली
नृत्य प्रतियोगी (२०० के करीब) : चयनित कुल ६ टा (३ टा जूनियर, ३ टा सीनियर)
चित्रकला प्रतियोगी (२०० के करीब) : चयनित कुल ६ टा (३ टा जूनियर, ३ टा सीनियर)
गायन प्रतियोगी (१०० के करीब) : चयनित कुल ६ टा (३ टा जूनियर, ३ टा सीनियर)
मंच सञ्चालन : मनीष झा “बौआभाइ”, 
सञ्चालन सहयोग : भरत कुमार झा (मैथिली),बबीता झा (मैथिली) आ मंजू सिंह (हिन्दी)
मंच पर अतिथिक हाथें कुल पुरस्कृत छात्र/छात्रा : ३० टा
पहुँचल अतिथि :
मनीष सिसोदिया ( विधायक, पटपड़गंज,दिल्ली)
विनोद कुमार बिन्नी (विधायक, लक्ष्मीनगर,दिल्ली)
सतीश चन्द्र झा (प्रोफ़ेसर,सनातन धर्म कॉलेज)
एस. एन. झा (रिटायर्ड आइ.ए.एस.,रजिस्ट्रार,आइ.जी.डी.टी.यूनिवर्सिटी फॉर वूमेन)
राजेश शर्मा (एन.आइ.आर.सी.,आइ.सी.ए.आइ.)
गोपाल केडिया (एन.आइ.आर.सी.,आइ.सी.ए.आइ.)
हंसराज चुग (एन.आइ.आर.सी.,आइ.सी.ए.आइ.)
डॉ. पद्माकर मिश्रा (डिप्टी रजिस्ट्रार,दिल्ली विश्वविद्यालय)
सागर झा (अभिनेता)
शुभ नारायण झा (अभिनेता)
रमानाथ झा (निर्माता/निर्देशक-हाफ मर्डर)
संस्था संचालित : वी.एम.वाइ.एम. डिस्पेंसरी द्वारा निःशुल्क स्वास्थ्य परामर्श शिविर
संस्था द्वारा प्रकाशित दू गोट पोथी विमोचित :
“नीक-बेजाए” रचनाकार कवि “मनीष झा बौआभाइ” 
सांस्कृतिक कार्यक्रम :
कलाकार : संजय झा,विमलेश झा,ममता उपाध्याय,मनीष मिश्रा.
उद्घोषक/संचालक : मनीष झा “बौआभाइ”
नृत्य प्रस्तुति : पहिल मैथिली फिल्म “ममता गाबय गीत” फ़िल्मक गीत “भरि नगरीमे सोर” द्वारा अदिती मिश्रा आ राधा-कृष्ण युगल नृत्य द्वारा श्वेतारानी समूह.
संगीत ग्रुप : रमेश मल्लिक.
दिनांक : २६ जनवरी २०१५
हवन, आरती आ तत्पश्चात मूर्ति विसर्जन. 



आ 
पढ़बा लेल एहि लिंक पर क्लिक करू ।

महोत्सवक सफल आयोजन हेतु समस्त कार्यकर्ता, अभिभावक,पाहुन, कलाकार,रचनाकार,अन्य प्रत्यक्ष वा परोक्षरूपेँ  सहयोग केनिहार श्रद्धालु लोकनिक आभार व्यक्त करैत संस्था अपनें लोकनिक उज्जवल भविष्यक कामना करैत अछि ।

Monday, November 10, 2014

स्मारिका-२०१५ मे प्रकाशनार्थ रचना एवं विज्ञापन हेतु आमंत्रण

मान्यवर/माननीया,
अत्यन्त हरखक संग सूचित क’ रहल छी जे हमरा लोकनिक संस्था “विद्यापति मैथिल युवा मंच” आगामी सरस्वती पूजा (२४ जनवरी २०१५) केर तैयारीक क्रममे प्रत्येक बरख प्रकाशित होमय बला “स्मारिका”मे प्रकाशनार्थ रचना हेतु अपनेंकें रचना पठेबा लेल सादर आमंत्रित करैत अछि । रचना समसामयिक,लौकिक,शिक्षाप्रद आ सामाजिक विषय-वस्तु पर आधारित हो त’ उत्तम आ ताहूमे ज’ टंकित होए त’ वाह ! वाह ! अन्यथा स्कैन कैल वा साफ अक्षरमे हस्तलिखित पठाएब ताहू लेल कोनो हर्ज नञि । हमरा लोकनि रचना प्राप्त करबाक तिथि निर्धारित केलौं अछि आजुक तिथि स' ल' क' १५ दिसंबर २०१४ धरि जेकि Facebook Message Inbox, vmymindia@gmail.com वा निम्नलिखित पत्राचारक पता पर सेहो सहर्ष स्वीकार्य अछि । समय एतेक पहिने रखबाक मुख्य कारण जे कोनो प्रकारक रचनामे टंकण अशुद्धि कम-स’-कम होइ तैं अपनें लोकनि स’ साग्रह निवेदन जे अपन सहभागिता आजुक तिथि स’ ल’ क’ अंतिम निर्धारित तिथि धरि अवस्से देल जाउ । हमरा लोकनि नितरोजे बाट ताकब आ आशा करै छी सभ दिन एकटा क’ नव-नव रचना प्राप्त हएत ।

निवेदक :
विद्यापति मैथिल युवा मंच
पत्राचार हेतु :
Vidyapati Maithil Yuva Manch
C/O-SDM & Associates
C-53, 2nd Floor,
Dena Bank Building, Pocket-5,
Mayur Vihar, Phase-1, Delhi-110091
Landline No. 011-22753741
Mobile No. 097173 47995

स्वच्छ भारत अभियानमे सहभागिता

भारत सरकार द्वारा चलाओल जा रहल “स्वच्छ भारत अभियान”मे हमरा लोकनिक संस्था द्वारा अभियानक प्रारंभिक शुरुआत दिनांक : 09.11.2014 (रविदिन) स्थानीय क्षेत्र पश्चिमी विनोद नगरक शान्ति मार्ग स’ कएल गेल जाहिमे समस्त पदाधिकारी ,कार्यकर्ता आ स्थानीय निवासी लोकनि सभ सेहो बढ़ि-चढि क’ भाग लेलनि आ यत्र-तत्र कूड़ा-करकट नैं फेकबाक शपथ लैत लोक सभ स’ सेहो नगर निगम के कूड़ा फेकै बला गाड़ी वा ठाम-ठाम राखल कूड़ादानमे फेकबाक आग्रह केलनि । संस्था अपनें लोकनिक आभार व्यक्त करैत आह्वान करैत अछि जे अगिला सफाई कार्यक्रमक योजना भिन्न-भिन्न क्षेत्रान्तर्गत राखल जाए जाहिमे अपनें लोकनिक सहयोग पुनः अपेक्षित अछि ।

Monday, February 10, 2014

एहि वर्षक (2014) सरस्वती पूजा सम्पन्न भेल

विगत एगारह बरखक भाँति एहि बेर पुनः पश्चिमी विनोद नगर, स्वाती पार्क, दिल्ली मे संस्था "विद्यापति मैथिल युवा मंच" बसंत पंचमीक पावन अवसर पर 4 फरवरी 2014 कए  सरस्वती पूजनोत्सवक सफलतापूर्वक आयोजन केलक. एहि सुअवसर पर माँ सरस्वतीक सविधि पूजा-अर्चनाक संगहि नेना सभके प्रोत्साहन हेतु कक्षा छ: स' ल' क' नवम धरिक छात्र/छात्राक बीच अनेकानेक गतिविधि जेना कि-प्रश्नोत्तरी, चित्रकला, गायन आ नृत्य प्रतियोगिताक 30 गोट छात्र/छात्रा पुरस्कृत कैल गेल. एहि कार्यक्रमक मंच सञ्चालन के जिम्मा लेने छलीह तीन गोट नव छवि जाहि में दू गोट नन-मैथिलानी भावना रोहिल्ला आ सोनम गुप्ता आ मैथिलानी में शिखा झा जे कि महिला लोकनिक संस्थाक प्रति लगाव आ संग मीलि उद्देश्य पूर्ति में हुनक अभिव्यक्ति के दर्शाबै छल.
एहि विशेष अवसरपर संस्थाक विगत बरखक क्रियाकलाप आ लेखक लोकनिक रचनाक एकटा अनुपम संग्रह  "स्मारिका" सेहो  प्रकाशित कैल गेल. पूजा स्थल पर स्थानीय मैथिल आ अमैथिल दुनू समाजक योगदान निश्चितरूपे एहि सफल आयोजन के रूप में देखबा मे ऐल. सामाजिक, राजनितिक, विभिन्न संस्था आ शिक्षाविद लोकनिक उपस्थिति विशेष आकर्षक रहल जाहि मे दिल्ली सरकार के शिक्षा मंत्री मनीष सिसौदिया, बीजेपी केर पूनम झा आज़ाद, नकुल भारद्वाज, चार्टर्ड अकाउंटेंट इंस्टिट्यूटक पदाधिकारी आ मेंबर गोपाल केडिआ, हंसराज चुग, राजेश शर्मा, अधिवक्ता रंजन कुमार आदि लोकनिक उपस्थितिक संगे मीडियाकर्मी लोकनिक सहयोग  वृहत रूप मे देखबा मे ऐल. श्रद्धालु लोकनिक उपस्थितिसँ पूजा पंडाल शोभायमान भेल. 
संध्या आरतीक पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन मे कलाकार-रमेश मल्लिक (संगीत ग्रुप), संजय झा, किशुन भारद्वाज, संजय कुमार झा, उज्ज्वल प्रकाश झा, सुनील पाल, राजेश मिश्रा, अमरेश मल्लिक आ मनीष झा "बौआभाइ"  आदि दर्शक के भरपूर आनंद दैत थोपड़ी बटोरय मे बेस सफल रहलाह. 
प्रातःकालीन पूजा-आरती, हवन आ तकरा बाद प्रतिमाक जल प्रवाह हेतु सभ कार्यकर्ता यमुनाजी मे मूर्ति विसर्जित केलनि. संस्थाक सदस्य आ स्थानीय समाज केर महीनो केर मेहनति आ बुद्धि दात्री माँ सरस्वतीक असीम कृपा स' ई महोत्सव सविधि संपन्न आ सफल भेल.