Monday, September 16, 2013

मैथिली भोजपुरी साहित्य अकादमीक सहभागिता

संस्था द्वारा आयोजित बसंत पंचमीक पावन अवसर पर15 फरवरी 2013 क'  सरस्वती पूजा आ ओही उपलक्ष्य में नेना सभके प्रोत्साहन हेतु कक्षा छ: स' ल' क' नवम धरिक छात्र/छात्राक बीच अनेकानेक गतिविधि जेना कि-प्रश्नोत्तरी,चित्रकला,गायन आ नृत्य प्रतियोगिताक जाहि में करीब 30 गोट छात्र/छात्रा पुरस्कृत कैल गेल छल आ ताहि में स' प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिताक छः टा सीनियर ग्रुप के बच्चा के "मैथिली भोजपुरी साहित्य अकादमी" दिस स' सेहो पुरस्कार के घोषणा कैल गेल छल आ अकादमी समस्त औपचारिकताक उपरान्त प्रत्येक बच्चा के 750/- रुपैया केर शिक्षा सहयोग राशि के चेक पत्राचार केर माध्यम स' प्रेषित कैल गेल। ओना ई औपचारिकता पूर्ण अप्रैले में भेल छल मुदा अभिभावक लोकनि स' ज्ञात कने विलम्ब स' कराओल गेल। हमरा लोकनिक  एहि उद्देश्य में सहयोगार्थ ठाढ़ हेबा लेल आ संग देबा लेल मैथिली भोजपुरी साहित्य अकादमीक आभार व्यक्त करैत अछि। 

No comments: