
एहि विशेष अवसरपर संस्थाक विगत बरखक क्रियाकलाप आ लेखक लोकनिक रचनाक एकटा अनुपम संग्रह "स्मारिका" सेहो प्रकाशित कैल गेल. पूजा स्थल पर स्थानीय मैथिल आ अमैथिल दुनू समाजक योगदान निश्चितरूपे एहि सफल आयोजन के रूप में देखबा मे ऐल. सामाजिक, राजनितिक, विभिन्न संस्था आ शिक्षाविद लोकनिक उपस्थिति विशेष आकर्षक रहल जाहि मे दिल्ली सरकार के शिक्षा मंत्री मनीष सिसौदिया, बीजेपी केर पूनम झा आज़ाद, नकुल भारद्वाज, चार्टर्ड अकाउंटेंट इंस्टिट्यूटक पदाधिकारी आ मेंबर गोपाल केडिआ, हंसराज चुग, राजेश शर्मा, अधिवक्ता रंजन कुमार आदि लोकनिक उपस्थितिक संगे मीडियाकर्मी लोकनिक सहयोग वृहत रूप मे देखबा मे ऐल. श्रद्धालु लोकनिक उपस्थितिसँ पूजा पंडाल शोभायमान भेल.
संध्या आरतीक पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन मे कलाकार-रमेश मल्लिक (संगीत ग्रुप), संजय झा, किशुन भारद्वाज, संजय कुमार झा, उज्ज्वल प्रकाश झा, सुनील पाल, राजेश मिश्रा, अमरेश मल्लिक आ मनीष झा "बौआभाइ" आदि दर्शक के भरपूर आनंद दैत थोपड़ी बटोरय मे बेस सफल रहलाह.
प्रातःकालीन पूजा-आरती, हवन आ तकरा बाद प्रतिमाक जल प्रवाह हेतु सभ कार्यकर्ता यमुनाजी मे मूर्ति विसर्जित केलनि. संस्थाक सदस्य आ स्थानीय समाज केर महीनो केर मेहनति आ बुद्धि दात्री माँ सरस्वतीक असीम कृपा स' ई महोत्सव सविधि संपन्न आ सफल भेल.