Tuesday, December 22, 2015

स्मारिका-२०१६ मे प्रकाशनार्थ रचना एवं विज्ञापन हेतु आमंत्रण

मान्यवर/माननीया,
अत्यन्त हरखक संग सूचित क’ रहल छी जे हमरा लोकनिक संस्था “विद्यापति मैथिल युवा मंच” आगामी सरस्वती पूजा (१३ फरवरी २०१६) केर तैयारीक क्रममे प्रत्येक बरख प्रकाशित होमय बला “स्मारिका”मे प्रकाशनार्थ रचना हेतु अपनेंकें रचना पठेबा लेल सादर आमंत्रित करैत अछि । रचना समसामयिक,लौकिक,शिक्षाप्रद आ सामाजिक विषय-वस्तु पर आधारित हो त’ उत्तम आ ताहूमे ज’ टंकित होए त’ वाह ! वाह ! अन्यथा स्कैन कैल वा साफ अक्षरमे हस्तलिखित पठाएब ताहू लेल कोनो हर्ज नञि । हमरा लोकनि रचना प्राप्त करबाक तिथि निर्धारित केलौं अछि आजुक तिथि स' ल' क' १० जनवरी २०१५, धरि जेकि Facebook Message Inbox, vmymindia@gmail.com वा निम्नलिखित पत्राचारक पता पर सेहो सहर्ष स्वीकार्य अछि । समय एतेक पहिने रखबाक मुख्य कारण जे कोनो प्रकारक रचनामे टंकण अशुद्धि कम-स’-कम होइ तैं अपनें लोकनि स’ साग्रह निवेदन जे अपन सहभागिता आजुक तिथि स’ ल’ क’ अंतिम निर्धारित तिथि धरि अवस्से देल जाउ । हमरा लोकनि नितरोजे बाट ताकब आ आशा करै छी सभ दिन एकटा क’ नव-नव रचना प्राप्त हएत ।

निवेदक :
विद्यापति मैथिल युवा मंच
पत्राचार हेतु :
Vidyapati Maithil Yuva Manch
C/O-SDM & Associates
C-53, 2nd Floor,
Dena Bank Building, Pocket-5,
Mayur Vihar, Phase-1, Delhi-110091
Mobile No. 097173 47995

Saturday, December 19, 2015

वी.एम.वाइ.एम. द्वारा कम्बल वितरण

तमाम प्रिंट ओ इलेक्ट्रॉनिक मीडिया द्वारा दिल्लीक बढ़ैत ठंढ में दूर-दराज स' इलाज करबै वास्ते आएल मरीज आ हुनक परिजन के एहि सिरसिराइत जारमे बस स्टैंड शेड वा अन्यत्र फुटपाथ पर राति बिताएब सनक समस्याकें संज्ञान लैत हमरा लोकनिक संस्था विद्यापति मैथिल युवा मंच,दिल्ली एम्स (AIIMS) अस्पतालक बाहरी परिसरमे दिनांक- १९ दिसम्बर २०१५ मने शनि दिन रातिक दस बजे जरूरतमंद लोककेँ कम्बल वितरण कएल । वितरण स्थल पर पहुँचल संस्थाक पदाधिकारी लोकनि परिजन लोकनि स' हुनक मरीजक समस्या सम्बन्धी बात सेहो केलनि।

फोटो संकलन देखबा लेल क्लिक करू :