Monday, November 10, 2014

स्मारिका-२०१५ मे प्रकाशनार्थ रचना एवं विज्ञापन हेतु आमंत्रण

मान्यवर/माननीया,
अत्यन्त हरखक संग सूचित क’ रहल छी जे हमरा लोकनिक संस्था “विद्यापति मैथिल युवा मंच” आगामी सरस्वती पूजा (२४ जनवरी २०१५) केर तैयारीक क्रममे प्रत्येक बरख प्रकाशित होमय बला “स्मारिका”मे प्रकाशनार्थ रचना हेतु अपनेंकें रचना पठेबा लेल सादर आमंत्रित करैत अछि । रचना समसामयिक,लौकिक,शिक्षाप्रद आ सामाजिक विषय-वस्तु पर आधारित हो त’ उत्तम आ ताहूमे ज’ टंकित होए त’ वाह ! वाह ! अन्यथा स्कैन कैल वा साफ अक्षरमे हस्तलिखित पठाएब ताहू लेल कोनो हर्ज नञि । हमरा लोकनि रचना प्राप्त करबाक तिथि निर्धारित केलौं अछि आजुक तिथि स' ल' क' १५ दिसंबर २०१४ धरि जेकि Facebook Message Inbox, vmymindia@gmail.com वा निम्नलिखित पत्राचारक पता पर सेहो सहर्ष स्वीकार्य अछि । समय एतेक पहिने रखबाक मुख्य कारण जे कोनो प्रकारक रचनामे टंकण अशुद्धि कम-स’-कम होइ तैं अपनें लोकनि स’ साग्रह निवेदन जे अपन सहभागिता आजुक तिथि स’ ल’ क’ अंतिम निर्धारित तिथि धरि अवस्से देल जाउ । हमरा लोकनि नितरोजे बाट ताकब आ आशा करै छी सभ दिन एकटा क’ नव-नव रचना प्राप्त हएत ।

निवेदक :
विद्यापति मैथिल युवा मंच
पत्राचार हेतु :
Vidyapati Maithil Yuva Manch
C/O-SDM & Associates
C-53, 2nd Floor,
Dena Bank Building, Pocket-5,
Mayur Vihar, Phase-1, Delhi-110091
Landline No. 011-22753741
Mobile No. 097173 47995

No comments: