Friday, December 9, 2011

स्मारिका-२०१२ मे प्रकाशनार्थ रचना एवं विज्ञापन हेतु आमंत्रण

अत्यन्त हर्षक संग सूचित क' रहल छी आ अपनें लोकनि के ज्ञात हो कि विगत नौ बरखक भांति अहू बेर हमरा लोकनिक संस्था "विद्यापति मैथिल युवा मंच" बसंत पंचमी के शुभ पावन अवसर पर २८ जनवरी २०१२ क' सरस्वती पूजनोत्सवक आयोजन करय जा रहल अछि, आ एहि शुभ अवसर हमरा लोकनि छोट-छोट बच्चा सभके प्रोत्साहन हेतु अनेकानेक गतिविधि (प्रश्नोत्तरी,चित्रकला,गायन एवं नृत्य प्रतियोगिता) आ तत्पश्चात मैथिली गीत- नाद के आयोजन करैत छी, संगहि माँ बुद्धिदात्री सरस्वती कें असीम अनुकम्पा स' एक पत्रिका " स्मारिका" के प्रतिवर्ष सफलतापूर्वक प्रकाशन होइत रहल अछि I एहि उत्सव के सफल बनाब' में अपने लोकनिक अपेक्षित सहयोग भेटैत रहल अछि आ आशा अछि जे निरंतर भेटैत रहत I इच्छुक रचनाकार लोकनि अपन नव रचना जरुर पठाबी I अपनेंक रचनाक सब विधा में स्वागत अछि रचनाक स्तर पारिवारिक होएय त' उत्तम I रचना शीघ्रता स' प्रेषित करबा वास्ते अंकित ई-मेल के प्रयोग कयल जा सकैत अछि I रचना प्रेषण स' पूर्व किछु विशेष जानकारी जेना कि:- १. रचना मौलिक आ अप्रकाशित पठाबी I २. रचना दिसम्बर महिनाक २० तारीख तक रजिस्टर्ड अथवा साधारण डाक द्वारा निम्नलिखित पता पर पठा देल जाऊ I ३. अपन पासपोर्ट साइज़क एक प्रति फोटो आ संक्षिप्त जीवन वृत्त संलग्न करी I ४. अपन पत्राचार के पता आ संपर्क संख्या जरुर पठाबी कारण जे स्मारिकाक एक प्रति अपनेंके पठाओल जायत I अपनें सपरिवार एहि शुभ अवसर पर सादर आमंत्रित छी I निवेदक :- विद्यापति मैथिल युवा मंच पत्राचार के पता अछि :- 404,IInd Floor, Patparganj Industrial Area New Delhi-११००९२ Mobile:07838541090 09717347995 E-mail: vmymindia@gmail.com
नोट: व्यावसायिक विज्ञापन हेतु स्मारिका में स्थान सेहो राखल जाइत अछि जे, इच्छुक विज्ञापनदाता सुरक्षित करबा सकैत छथि I

No comments: