Wednesday, December 1, 2010

स्मारिका-२०११ मे प्रकाशनार्थ रचना एवं विज्ञापन हेतु आमंत्रण

मान्यवर/माननीया, अत्यन्त हर्षक संग सूचित क' रहल छी आ अपनें लोकनि के ज्ञात हो कि अन्य वर्षक भांति अहू बेर हमरा लोकनिक संस्था "विद्यापति मैथिल युवा मंच" बसंत पंचमी के पावन अवसर पर सरस्वती पूजनोत्सवक आयोजन करय जा रहल अछि, आ एहि शुभ अवसर पर माँ बुद्धिदात्री सरस्वती कें असीम अनुकम्पा स' एक पत्रिका " स्मारिका" के प्रतिवर्ष सफलतापूर्वक प्रकाशन होइत रहल अछि I एकरा निरंतर आगाँ बढाब' में अपने लोकनि स' लेखन सहयोगक अपेक्षा रहैत अछि I रचनाक स्तर पूर्ण रूप स' सामाजिक आ पारिवारिक पठनीय होय जाहि स' हमर अहाँ समाज के किछु बल आ नीक दिशा भेटै I अपनेंक रचनाक सब विधा आ सब भाषा में स्वागत अछि I रचना शीघ्रता स' प्रेषित करबा वास्ते अंकित ई-मेल के प्रयोग कयल जा सकैत अछि I रचना प्रेषण स' पूर्व किछु विशेष जानकारी जेना कि:- १. रचना मौलिक आ अप्रकाशित पठाबी I २. रचना दिसम्बर महिनाक 2५ तारीख तक रजिस्टर्ड अथवा साधारण डाक द्वारा निम्नलिखित पता पर पठा देल जाऊ I ३. अपन पासपोर्ट साइज़क दू प्रति फोटो आ संक्षिप्त जीवन वृत्त संलग्न करी I ४. रचना टंकित होय त' उत्तम नहि त' साफ-साफ अक्षर में लीखि पठाबी I ५. रचनाक चयन आ प्रकाशन सम्बन्धी निर्णय आ कोनो तरहक जिम्मेदारी संपादक मंडल पर निर्भर करैत अछि I e-mail :vmymindia@gmail.com, Mob.No.09717347995/Ph. No. 011-22485063 विज्ञापन सम्बन्धी सूचना: स्मारिका में विज्ञापन के लेल सेहो किछु स्थान राखल गेल अछि, इच्छुक व्यक्ति विज्ञापन हेतु संपर्क करू e-mail :vmymindia@gmail.com, Mob.No.09210639290/Ph. No. 011-22485063 अपनें सपरिवार एहि शुभ पावन बेला पर सादर आमंत्रित छी I शुभकामनाक संग, विद्यापति मैथिल युवा मंच (पंजीo) बी-117, ग्राउंड फ्लोर, नियर यू.पी. ज्वेलर्स, पांडव नगर, दिल्ली-110092 फ़ोन नं. 011-22485063 मो.न 09210639290 ई-मेल: vmymindia@gmail.com

No comments: